कुल पेज दृश्य

रविवार, 21 फ़रवरी 2021

मैथिली गीत कांता राय

मैथिली गीत 
कांता राय 
*
आई अप्पन भाषाक दिन अछि।
चैत मास मोन छल
गाम जैतहूँ एही बेर
नबका भातक संग खैइतहूँ
पटुआ सागक लेर
चैताबर में गबितहूँ
होरी औ मघुमास
बटगबनि में चौमासा
विद्यापतिक बारहमास
जईतहूँ बहिना काकी अँगना
चूड़ा कूटय लेल
बड़का बाबा के मढ़िया पर
फुटहा लाबै लेल
बाधे बने रणे बने
चलु छिछियाऊ
मौनी भैर कय बथुआ तोड़ब
कनि जल्दी चलि आऊ
सासूर सय एलखिन
लाल दीदी पिरिकिया लय क
सनेश पुरलखिन काकी
जरल गुड़ पूरी दय क
कान्ता रॉय
जय मिथिला जय मैथिली।

कोई टिप्पणी नहीं: